सोमवार, 31 दिसंबर 2012

पास या फेल

बाप :- बौआ, तु चाहे पास भ' जो या फेल ! तोरा हम एकटा मोटरसाइकिल जरूर देबउ !
बेटा: अहाँ केँ बहुत - बहुत धन्यवाद, पापा ।
बाप :- पास भ' जेबऽ तऽ हीरो होंडा कॉलेज जाए के लेल और अगर फेल भ' जेबऽ तऽ “राजदूत” दूध बेचै के लेल ।

गुरुवार, 20 दिसंबर 2012

कछुआ आ खरगोश

दसवीं के ईम्तिहान में खरहा के ७५% आ कछुआ के ४०% मार्क भेटल । मुदा कालेज में कछुआ के एडमीशन भेटल आ खरहा के एडमिशन नै भेटल ।

खरहा बाजल कछुआ सँ :- मित्र, हमर मार्क बेसी छल तऽ हमरा एडमिशन नै भेटल मुदा अहाँक मार्क हमरा सँ कम छल तइयो अहाँक एडमिशन भेट गेल, से कोना ?

कछुआ बाजल खरहा सँ :- हमरा खेल-कुद वाला कोटा सँ एडमिशन भेटल । याद अछि ने हम बचपन मेँ अहाँ सँ रेस लगेने छलहुँ जाहि में जीत हमर भेल छल !

बुधवार, 19 दिसंबर 2012

तोहर बापो नहिँ आब तंग कऽ सकैत अछि

एक आदमी के कियौ मोबाइल पर तंग करैत छल। अंतत: ओ एकटा नवका सिम कीनलक आ तंग करय वला के मैसेज केलक - हम आब पुरनका सिम बंद कऽ देलियै हँ। आब तोहर बापो नहिँ हमरा तंग कऽ सकैत अछि।

एकर उपयोग बाद मे करब

एक आदमी एकटा सलाई केर डिब्बा कीनलक आ ओकर पहिल काठी जरेलक, ओ नहिँ जरल। दोसर काठी जरेलक ओहो नहिँ जरल। तेसर काठी जरेलक ओहो नहिँ जरल। ओ तंग भऽ गेल छल। अंतिम कोशिश करैत ओ चारिम काठी जरेलक , ओ जरि गेल। खुश भऽ कऽ ओ आदमी अपना आप सऽ कहलक जे, ' इ काठी तऽ जरि गेल, एकरा हम बाद मे उपयोगक लेल राखि लैत छी।'

बुधवार, 12 दिसंबर 2012

स्टाप स्टाप

ट्रैफिक पुलिस वला, 'स्टाप...स्टाप... अहांक हेडलाइट काज नहिँ कऽ रहल अछि!
ड्राइवर, 'आगू सऽ हटि जाऊ भाइजी, ब्रेक सेहो काज नहिँ कऽ रहल अछि!

प्रोड्यूसर

पहिल : आहां इ फिल्मक पोस्टर के ऐना(घूरि के) कियैक देखि रहल छी ?
दोसर : कियैक तऽ एहि फिल्मक प्रोड्यूसर हमहीँ छी!

गधहाक ग्रेजुएशन

गोलू गधा पर बैसि कऽ कालेज आबैत छल। अंतिम बरख मेँ ओ फेल भऽ गेल आ फेर पैदल कालेज आबय लागल।
कियैक ?
कियैक तऽ गधहाक ग्रेजुएशन पूरा भऽ गेल छल!

शनिवार, 1 दिसंबर 2012

हमर कारी कोट!

कंजूस पिताजी अपन बेटा से कहलैथ, 'हमर अंतिम इच्छा अछि जे आहां पैघ भऽ कऽ ओकील बनी।'
बेटा : से कियैक पिताजी ?
पिताजी : ओ एहि दुआरे की हमर कारी कोट अहांक काज आबि जाय।

सभटा जवाब काल्पनिक अछि!

परीक्षा दऽ रहल एकटा छात्र दोसर सऽ पूछलक, भाइ, आन्सर शीट पर की लिखी ?
दोसर : यैह जे एहि आन्सर शीट पर लिखल गेल सभटा जबाब काल्पनिक अछि जेकर कोनो किताब सऽ कोनो टा संबंध नहिँ।